Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Monday 15 August 2011

पद्य - ‍१ - मेघ

     मेघ (बाल गीत)


हम मेघ थिकहुँ  धरतीवासी, ई जीवन हमरहि आनल अछि ।
..................................................................................................................
नञि दोष हमर जँ हो अनिष्ट, आ नाचथि ताण्डव महाकाल ।।
(छायाकार :- डॉ॰ शशिधर कुमर)


म मेघ थिकहुँ, धरतीवासी ! ई  जीवन हमरहि आनल  अछि ।
नञि गोर जदपि हम छी कारी, पर स्नेह सुधा संग आनल अछि ।।

जखन – जखन  एहि भूतल पर,
रविकिरणक साहस  बढ़ैत गेल ।
सभ जीव जन्तु , गाछी बिरछी,
जल विन्दु-विन्दु ले तरसि गेल ।
एहि दारुण दुःख मे संग तोहर, हर बेर हृदय मोर कानल अछि ।
हम मेघ थिकहुँ, धरतीवासी ! ई  जीवन हमरहि  आनल अछि ।।

हर आह  हमर  शीतल  बसात,
नोरक हर बुन्न बनल अमृत ।
लहलहा  उठल  खेतक जजाति,
हर जीव तृप्त,  धरती  संसृत ।
स्वागत मे सदिखन आदिकाल सँ मोर मुदित मन नाचल अछि ।
हम मेघ थिकहुँ, धरतीवासी ! ई  जीवन हमरहि  आनल अछि ।।

हर सड़सि  ताल सरिता निर्झर,
वन उपवन हमरहि सँ शोभित ।
हर जड़ि चेतन केर प्राण हमहि,
छी रग मे हमहीं बनि शोणित ।
हमरहि निर्मित ई सकल स्वर्ग , हमरहि वसन्त ई आनल अछि ।
हम मेघ थिकहुँ, धरतीवासी ! ई  जीवन हमरहि  आनल अछि ।।

नञि दोष हमर, जँ हो अनिष्‍ट,
आ नाचथि ताण्डव  महाकाल ।
जलमग्न धरा,  बाढ़िक कारण,
आ देखि पड़य  कत्तहु अकाल ।
सोचू एहि मे अछि दोष ककर ? की नियम अहाँ सभ मानल अछि ?

हम मेघ थिकहुँ, धरतीवासी !  ई  जीवन   हमरहि  आनल अछि ।।



विदेहपाक्षिक मैथिली इ पत्रिका, वर्ष , मास ४४, अंक ८८, ‍दिनांक - १५ अगस्त २०११ मे प्रकाशित । 





No comments:

Post a Comment