Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Wednesday 20 January 2016

पद्य - ‍१३७ - पहाड़ी मएना (बाल कविता)



पहाड़ी मएना (बाल कविता)




सोन  चिड़ैञा,  सोन  चिड़ैञा,
कोन   देशसँ   आबैत  छी ।
पीयर देह   कारी पाँखिमे,
बहुतहि  सुन्नर  लागैत छी ।।

आँखि छी कारी,  मूरी  कारी,
लोल  गुलाबी  सुन्नर  छी ।
ककरो-ककरो  पर  देखैत छी,
मूरी   सेहो   पीयर   छी ।।

हमरा दिशि  आबी बसन्तमे,
ठण्ढी अबितहि  भागैत छी ।
प्रायद्वीप*‍१ भारत कि अफ्रिका,
ठण्ढी  जाए बिताबैत  छी ।।

मएना  सनक आकार अहँक,
तेँ नाम पहाड़ी मएना छी ।
सोन चिड़ैञा  नाम आन केर,
अहँ केर तँऽ बस उपमा छी ।।*


संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

*‍१ द्वीप (ISLAND / ISLET) ओ स्थलखण्ड थिक जे चारू कात सँ पानिसँ घेरल होअए आ प्रायद्वीप (PENINSULA) ओ स्थल खण्ड थिक जे तीन कातसँ पानिसँ घेरल हो पर एक कातसँ कोनो आन स्थलखण्डसँ जुड़ल हो; जेना कि भारतक दक्षिणी भू भाग । (प्रायद्वीप = प्रायः + द्वीप = जे द्वीप तँऽ नञि अछि पर लगभग द्वीप सदृश अछि = चारि नञि पर तीन भाग पानि हो जाहि स्थलखण्डक) ।

*एहि चिड़ैकेँ मैथिलीमे पहाड़ी मएना कहल जाइत अछि, जकर कारण सम्भवतः मएनासँ मिलैत - जुलैत एकर अकार - सुकार छी । पीयर रंग हएबाक कारण एकरा सोन - चिड़ैञा केर उपमा देल गेल अछि जे कि एकर नाम नञि अछिसोन-चिड़ैञा नामसँ मैथिलीमे एकटा दोसर चिड़ै केर बोध होइत अछि । ई हिन्दीक पहाड़ी मैनासँ बिल्कुल भिन्न अछि तेँ दुहु भाषामे एक्कहि नामक कारण भ्रमित नञि होउ ।

        कारी माथबला पीयर रंगक चिड़ै जे ऊपरुका चित्रमे देखाओल गेल अछि तकर अंग्रेजी नाँओ BLACK HEADED GOLDEN ORIOLE थिक आ प्राणिशास्त्रीय या जैववैज्ञानिक (BIOLOGICAL / SCIENTIFIC) नाँओ Oriolus larvatus अछि । एहने चिड़ै जकर माथ सेहो पीयर रंगक होइत अछि से INDIAN GOLDEN ORIOLE कहबैत अछि आ एकर प्राणिशास्त्रीय नाँओ Oriolus kundoo अछि । मैथिलीमे ई दुहु प्रजाति पहाड़ी मएना कहल जाइत अछि आ दुहुक लोलक रंग मांसक सदृश गुलाबी होइत अछि ।


मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍193म अंक (‍01 जनबरी 2016) (वर्ष 9, मास 97, अंक ‍193) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।


No comments:

Post a Comment