Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Friday 3 June 2016

पद्य - ‍१७९ - परबा या परेबा (बाल कविता)

परबा या परेबा (बाल कविता)




केहेन  ई  चिड़ै छै !
दिनहिमे  उड़ै  छै ।
साँझ होइतहि देरी ओकरा बाट ने सुझै छै ।।*

पोशुआ  सेहो  छै ।
बनैया   सेहो  छै ।
बैसितहि  सभ ठाँ ओ,  गुटर - गूँ करै छै ।।*

धूसरि कारी उज्जर ।
गर्दनि नील हरियर ।
भाँति - भाँति रंग,  मुदा एक्कहि चिड़ै छै ।।*

प्रशिक्षण पाबै छल ।
चिट्ठी पहुँचबै छल ।
उजराकेँ  शान्तिदूत,  जग  भरि  मानै छै ।।

पौड़की सनि लागै छै ।
पौड़की  ओ  नञि छै ।
पौड़की - विपरीत ओ तँऽ, झुण्डेमे रहै छै ।।*

पौड़की  कुलक ओ ।
हरियल कुलक ओ ।
माँसु लेल लोक खूब,  ओकरा  पोषै छै ।।





संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

* - हमसभ देखैत छी जे साँझ होइतहि देरी पोशुआ परबा उड़ैत नञि अछि जाहिसँ अनुमान होइत अछि जे साँझ भेला पर परबाकेँ देखाइ नञि दैत अछि । वास्तवमे से बात नञि । परबा विशुद्ध दिनचर (STRICTLY DIURNAL) चिड़ै अछि । ओकरा रातिमे देखाइ तँऽ दैत छै पर ओ राति कऽ उड़ैत नञि अछि । ओ रातिमे तखने उड़ैत अछि जखनि कि ओकरा उछन्नर देल जाय अथवा विशेष प्रकारसँ प्रशिक्षित कएल गेल हो । परबामे रंग चिन्हबाक शक्ति होइत अछि । ओ पराबैगनी किरणकेँ (ULTRAVIOLET RAYS) सेहो आँखिसँ देखि सकैत अछि । तहिना परबा अपश्रव्य तरंगकेँ (INFRASONIC WAVES) सेहो सुनि सकैत अछि । मनुक्खक आँखि नहि तँऽ पराबैगनी किरणकेँ देखि सकैत अछि आ नहिञे ओकर कान अपश्रव्य तरंगकेँ सुनि सकैत अछि । अन्हारमे वा कम प्रकाशमे परबाक रंग पहिचानबाक शक्ति अवश्य बाधित होइत अछि ।

* - गुटर-गूँ = COOS / COOING SOUND

* - बनैया परबाक रंगमे प्रायः बेसी अन्तर नञि होइत अछि जखनि कि पोशुआ परबाक रंग भाँति-भाँति केर होइत अछि ।

*- परबा झुण्ड या समूहमे रहएबला (GREGARIOUS) चिड़ै अछि जखनि कि पौज़की आ हरियल एकाकी (SOLITARY) चिड़ै अछि ।


                 पुरना अंग्रेजीमे परबा लेल DOVE PIGEON दुहु शब्द प्रयुक्त होइत छल । DOVE अंग्रेजीमे जर्मन मूलक शब्द अछि जखनि कि  PIGEON फ्रेञ्च मूलक । आइ काल्हि प्रायः छोट आकारक परबा लेल आ पौड़की लेल DOVE शब्दक प्रयोग होइत अछि आओर पैघ कारक परबा लेल PIGEON शब्दक । परबा लेल किछु आओरहु शब्द सभक प्रयोग होइत अछि जाहिसँ धियापुता की, पैघहु लोकनि भ्रममे पड़ि जाइत छथि । एहेन शब्दसभ नीचाँ अर्थ सहित देल जा रहल अछि -

·       ROCK DOVE / PIGEON = WILD DOVE / PIGEON = Columba livia = बनैया परबा − ई प्राकृतिक रूपसँ समुद्री तटीय भृगु (सीधा ठाढ़ चट्टानसभक दड़ारि; उच्चारण - दड़ाइर) (SEA CLIFF), चट्टनी बहिर्निक्षेप (बहिर्गत या आगाँ निकलल भाग) (ROCK LEDGES) आ ताहि तरहक आन स्थानसभमे रहैत अछि ।

·       DOMESTIC PIGEON = Columba livia domestica = पोशुआ परबा − बनैया परबाक ओ समूह जकरा मनुक्ख पोशुआ बना लेलक ।

·       FERAL PIGEON = ESCAPED DOMESTIC PIGEON = Columba livia domestica = निस्तार पाओल (भागल) पोशुआ परबा − पोशुआ परबा जे कि निस्तार पाबि (भागि कऽ या फेर मुक्त भऽ कऽ) पुनः बनैया भऽ गेल हो । एहि तरहक परबा प्रायः पुर्ण रूपसँ बनैया नञि बनि पाबैत अछि । गेटवे ऑफ इण्डिया, लाल किला परिसर, कोनहु मन्दिर वा महजिदक परिसर आदि स्थानमे भेटएबला परबा एहने परबाक समूह थिक ।

·       FANCY PIGEON = Columba livia domestica = कल्पित परबा − ई वास्तवमे पोशुआ परबा थिक जकरा किछु लोक अपना अनुसारेँ प्रजनन करा कऽ (SELECTIVE BREEDING) अपन इच्छानुरूप रंग-रूप, कद-काठी ओ स्वभाव बला परबाकेँ उत्पन्न करैत छथि

·       WAR PIGEON = CARRIER PIGEON = MESSENGER PIGEON = Columba livia domestica = सनेशवाहक परबा − किछु विशेष प्रकारक प्रशिक्षित परबा पहिने सनेशवाहक केर काज करैत छल तेँ CARRIER / MESSENGER PIGEON कहाओल । प्रथम ओ द्वितीय विश्वयुद्धमे ओ अपन सनेशवाहकक भूमिकाक कारण WAR PIGEON कहाओल ।


मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍203म अंक (‍01 जून 2016) (वर्ष 9, मास 102, अंक ‍203) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।




No comments:

Post a Comment