Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Saturday 4 June 2016

पद्य - ‍१८५ - बाज (बाल कविता)

बाज (बाल कविता)








मैथिलीमे   छी  बाज  विदेशज ।
नञि छी - तत्सम, तद्भव, देशज ।।*

जाहि भाषासँ  बाज  छै आयल ।
ओहि  भाषामे  अर्थ छै  व्यापक ।।*

बाज - बहादुर  पोषथि   बाज ।
पैघ,  छोट  आ  माँझिल  बाज ।।*

मैथिलीमे  भेल  अर्थ - संकोच
छोटकी  शिकारी  पक्षीक   बोध ।।*

छोट - मँझलुका  विविध चिड़ैसभ ।
गरूड़ - चिल्होरिक बाद जे बाँचल ।।*

बहुविध देश  आ  बहुविध  बाज ।
सौंसे   दुनिञा   पसरल   राज ।।*

चिल्होरिक  गण  साझी   बाज ।
तेँ किछु गुण सझियो छै व्याप्त ।।*

छोट  चिड़ै  केर  करैछ शिकार ।
बेङ्ग आ गिरगिट  सेहो आहार ।।

दिनचर - चिड़ै - शिकारी  ढीठ ।
सुरुजक दिशि कऽ  बैसए पीठ ।।*

संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

* - बाज - शिकारी चिड़ै केर अर्थमे प्रयुक्त होमए बला ई शब्द मैथिलीमे विदेशज शब्द थिक अर्थात आन भाषासँ (संस्कृतक अतिरिक्त आन भाषा) मैथिलीमे आयल अछि ।

* - शिकारी चिड़ै केर अर्थमे प्रयुक्त होमए बला बाज शब्द मैथिली आ आन भारतीय भाषासभमे अरबी भाषा सँ आयल अछि । प्राचीन अरबीमे बाजक अर्थ बेस व्यापक छल जाहिमे प्रायः गरूड़, चिल्होरि, गिद्ध आदि समस्त शिकारी चिड़ै आबैत छल ।

* - नेनपनमे गाम-घऽरमे सुनल बहुतहु खिस्सा-पिहानीमे बाज बहादुर नामक पात्र रहैत छल जे भाँति - भाँति केर बाज पोषैत छल - छोटका बाज, मँझलुका बाज आ बड़का बाज । ई बाजशब्दसँ बोध होइ बला शिकारी चिड़ैसभक व्यापकताक परिचायक छल । (ध्यातव्य जे अरबी भाषामे गरूड़, चिल्होरि, गिद्ध आदि नञि होइत अछि − मैथिलीमे शिकारी पक्षी सभक ई सब समूह संस्कृत भाषाक देन छी − तत्सम वा तद्भव रूपमे) ।

* **- मैथिली भाषामे बाज शब्द तँऽ प्रयोग होइत अछि, पर ओकर अर्थ मूल अर्थसँ कम व्यापक अछि । व्याकरणमे एहि तरहक घटनाकेँ अर्थ सङ्कोच/संकोच कहल जाइत अछि । जखन कोनहु शब्दक पहिलुक अर्थसँ एखनुक अर्थ संकुचित (कम) भऽ गेल हो तँऽ अर्थ संकोच तथा जँ पहिलुक अर्थसँ एखनुक अर्थ व्यापक (विस्तृत) भऽ गेल हो तँऽ अर्थ प्रसार कहबैत अछि । गिद्ध, गरूड़ आ चिल्होरि केर अतिरिक्त जे शिकारी पक्षी बाँचल से वस्तुतः मैथिलीक बाज शब्दमे समाहित भेल । तेँ अंग्रेजीक FALCON, HAWK, BUZZARD, OSPREY, HARRIER, KESTREL आदि शब्दसँ बोध होइ बला शिकारी पक्षीसभ प्रायः मैथिलीक बाज शब्दमे निहित अछि ।
अनुवाद साहित्यमे प्रायः अंग्रेजीक HAWK शब्दकेँ बाज शब्दक समकक्ष मानल जाइत अछि । अंग्रेजीक HAWK शब्दसँ निम्न चिड़ैसभक बोद होइत अछि -

·         ACCIPITRINE HAWK = TRUE HAWK = GOSHAWKS + SPARROW HAWKS + OTHERS = members of Sub Family ACCIPITRINAE

·         BUTEONINE HAWK = BUZZARDS = members of Sub Family BUTEONINAE


                        मोटा-मोटी मैथिलीक बाज शब्द अंग्रेजीक  शब्दसँ वृहत् अछि आ अरबी भाषाक बाज शब्दसँ न्यून अछि । मैथिलीक भाषाक बाज शब्द निम्न चिड़ैसभकेँ समाहित करैछ -

·        ACCIPITRINE HAWK = TRUE HAWK = GOSHAWKS + SPARROW HAWKS + OTHERS = members of Sub Family ACCIPITRINAE

·        BUTEONINE HAWK = BUZZARDS = members of Sub Family BUTEONINAE

·        HARRIERS = members of Sub Family CIRCINAE

·        OSPREY = Pandion haliaetus (Family - PANDIONIDAE)

·        FALCONS, KESTRELS & CARACARAS = members of Family FALCONIDAE


**- दिनचर = DIURNAL = दिनमे शिकार कएनिहार चिड़ै = तेँ सुरूज दिशि पीठ कऽ कऽ बैसैत अछि ताकि शिकार पर पड़ि रहल सुरूजक किरिण परावर्तित भऽ कऽ सोझेँ ओकर (गरूड़, चिल्होरि वा बाज केर) आँखि पर पड़ओ ।



मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍203म अंक (‍01 जून 2016) (वर्ष 9, मास 102, अंक ‍203) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।





No comments:

Post a Comment