Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Sunday 17 July 2016

पद्य - ‍२०२ - बिज्जी या सपनौर (बाल कविता)

बिज्जी या सपनौर (बाल कविता)



ओ बिज्जी छै !   सपनौर  छै !
ओ छै बिज्जी !  सपनौर छिऐ !
की भेलह ? किए लड़ै छह तोँ सभ ?
जे बिज्जी, सएह सपनौर छै ।।*
ओ बिज्जी छै ! सपनौर  छै !!

बाड़ी - झाड़ी  सब  घुमैत छै ।
भरि दिन बस दौड़िते रहैत छै ।
गाछ - बिरिछ नहिञे चढ़ैत छै ।*
धरती पर किछु तँऽ ताकैत छै ।
जएह  कहाबैछ  बिज्जी  एक  ठाँ,
दोसर   ठाँ   सपनौर   छै ।।
ओ बिज्जी छै ! सपनौर  छै !!

मांसुक भक्षक जीव छिऐ ओ ।
राति ने, दिनहिमे फिरैछ ओ ।*
साँपहु केर  भक्षण करैछ ओ ।
गहुमनसँ सेहो ने  डरैछ ओ ।
कहबी − साँपक  दुश्मन  बिज्जी,
सपलेउर  -  सपनौर    छै ।।*
ओ बिज्जी छै ! सपनौर  छै !!

एसिया, योरोप आओर अफ्रिका ।
छै जे कहाबैत  पुरना - दुनिञा ।
ताहि ठामक छी  वासी  बिज्जी ।
नबका - दुनिञा लेल उड़कुस्सी ।*
राष्ट्र - अमेरिकामे  प्रतिबन्धित,
लऽ  जायब   सपनौर   छै ।।*
ओ बिज्जी छै ! सपनौर  छै !!




संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

* - दू टा धिया-पुता एक टा जीवकेँ देखि कऽ परस्पर झगड़ि रहल छल । पहिलुकक कहब छल जे ओ जीव बिज्जी थिक आ दोसरक कहब छल कि सपनौर अछि । वास्तवमे ओ दुहु बच्चा / बच्ची सही छल कारण बिज्जीसपनौर दुहु एक्कहि जीवक पर्यायी नाँओ थिक जकरा अंग्रेजी भाषामे MONGOOSE (Singular) (Plural - MONGOOSES / MONGEESE) कहल जाइत अछि । सपनौरहि केर एक टा पाठभेद वा उच्चारभेद (PHOENETIC/PHONETIC VARIANT) सपलेउर अछि ।

* - बिज्जी / सपनौर लुक्खी जेकाँ वृक्षाश्रयी (ARBOREAL) जीव नञि थिक ओ बिलेशय (TERRESTRIAL BURROW DWELLER) अर्थात बिलमे रहनिहार प्राणी थिक ।

* - बिज्जी / सपनौर बिलेशय प्राणी होइतहुँ मूस वा मुसरी (RAT/S & MOUSE/MICE) जेकाँ रातिचर (NOCTURNAL) प्राणी नञि अछि; ओ दिनचर (DIURNAL) प्राणी अछि ।

* - बिज्जी / सपनौर अपन किछु विशिष्ट शरीर रचना (यथा - मोट चाम) ओ शरीर क्रियाक (विशेषीकृत ACETYLCHOLINE RECEPTORS) कारणेँ साँपक (विशेषतः गहुमनक) विषक दुष्प्रभावसँ सुरक्षित रहैत अछि । साँपसँ ओना तँऽ ईहो कतियाए कऽ निकलैत अछि मुदा सामना भेला पर गहुमन (KOBRAS & OTHER ELAPIDS) आ ओहि वर्गक आन साँपकेँ मारि दैत अछि । वाइपर आ अजगर (VIPERS & BOAS) समूहक साँपसँ युद्ध भेला पर बहुधा बिज्जी केर हारि होइत अछि आ ओ मारल जाइत अछि । आम धारणाक विपरीत एहि जीवकेँ साँपक मांसु खएबाक प्रति कोनहु विशेष रुचि नञि होइत अछि ।

*- यूरेसिया (यूरोप आ एसिया) तथा अफ्रिका महादेशकेँ पुरना दुनिञा (OLD WORLD) आ उतरबारी तथा दछिनबारी अमेरिका महादेशकेँ नवका दुनिञा (NEW WORLD) कहल जाइत अछि । बिज्जी पुरना दुनिञाक मूल निवासी (NATIVE SPECIES) अछि आ नबका दुनिञामे प्राकृतिक रूपसँ नञि पाओल जाइत अछि । तेँ नबका दुनिञाक लोकक लेल ओ एकटा विचित्र वा आश्चर्यजनक जीव अछि ।

*- बिज्जीकेँ साँप आदिसँ घऽरक सुरक्षाक उद्देश्यसँ किछु लोक पोषितहु छथि । उतरबारी अमेरिका महादेशक (NORTH AMERICA CONTINENT) संयुक्त राज्य अमेरिका (USA) नामक देशमे बिज्जीकेँ लऽ जाएब प्रतिबन्धित अछि ।



मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍205म अंक (‍01 जुलाई 2016) (वर्ष 9, मास 103, अंक ‍205) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।

No comments:

Post a Comment