Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Friday 30 September 2016

पद्य - ‍२‍१२ - तेन्दुआ या तेनुआ (बाल कविता)

तेन्दुआ या तेनुआ (बाल कविता)




किछु-किछु बाघहि सनि लगैत छै,
किछु मिलैत अछि चीतासँ ।
पानिमे बाघहि सनि  हेलैत अछि,
रंग मिलैत अछि  चीतासँ ।।

चित्रकाय छै  चीतहि  सनि, मुदा
करिया धब्बा  गोल ने छै ।*‍१
गाछ  चढ़एमे   बहुतहि  माहिर,
पैघ बिलाड़िमे जोड़ ने छै ।।*

गाछ चढ़ैछ  झट  मूँहमे  धएने,
मूइल  बहुत भारी शिकार ।
छीनि सकैछ ने  बाँटि सकैतछि,
आन केओ मूहँक आहार ।।

गाछक मोटका डाढ़ि पर बैसल,
भक्षण करैछ शिकार ओ ।
दिनभरि सूतल रहइछ ओहि ठाँ,
उतरैछ साँझ अन्हार ओ ।।

बाघ - सिंह - चीतासँ  छोट छै,
लागैत छै  जगुआर जेकाँ ।
एक जँ रहितए  दुहु टा  दुनिञा,
अलग फेर जगुआर कहाँ !! *

तेनुआ भेटैछ एसिया - अफ्रिका,
विविध क्षेत्र - जलवायुमे ।
बारल छै  बस क्षेत्र विषम अति,
मरू - हिम जलवायु जे ।।

हिम-तेनुआ अलगहि छी प्राणी,
भेटैछ  ऊँच  पहाड़  पर ।*
ओतबहि अलग ओ छी तेनुआसँ,
जतबा चीता - बाघसभ ।।



संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

* - प्राचीन संस्कृतक चित्रकः वा चित्रकायः शब्दमे आजुक चीता सेहो आबैत छल आ तेन्दुआ या तेनुआ सेहो । किछु लोक संस्कृतक तरक्षुः शब्दसँ तेन्दुआ मानैत छथि पर तरक्षुः चीता आ बाघ आदि लेल सेहो आयल अछि । हिन्दीमे सेहो तेन्दुआ शब्दक आगमनक श्रोत स्पष्ट नञि अछि; सम्भवतः कोनहु जनजातीय भाषा वा बोलीसँ आयल छल आ ओतहिसँ मैथिलीमे सेहो आयल । मैथिलीमे तेन्दुआ शब्द यथावत प्रयुक्त होइत अछि जकर उच्चार भेद (PHOENETIC VARIANT) तेनुआसेहो अछि । 


* - तेन्दुआ गाछ पर चढ़बामे बड्ड माहिर होइत अछि । ओ शिकार कएलाक बाद ओहि शिकारक लहाशकेँ अपन मूँहमे दाबि आसानीसँ गाछ पर चढ़ि जाइत अछि । एहि प्रकारेँ ओ अपन भोजनकेँ आन प्रतिद्वन्दी शिकारीसभसँ (जेना कि - बाघ, सिंह, चीता आदिसँ) सुरक्षित कऽ लैत अछि ।





* - पैघ बिलाड़िसभमे तेन्दुआक अतिरिक्त मात्र जगुआर गाछ पर चढ़ि पाबैत अछि । जँ पुरना आ नबका दुनिञा कोनहु स्थल मार्ग द्वारा परस्पर जुड़ल रहैत तँऽ सम्भवतः तेन्दुआ ओ जगुआर अलग - अलग प्राणीक रूपमे नञि विकसित भेल रहैत ।

* - हिम तेन्दुआ (या हिम तेनुआ) नामक जन्तु तेन्दुआ (या तेनुआ) केर कोनहु प्रजाति नञि छी अपितु एक गोट स्वतन्त्र मांसुभक्षी जन्तु छी । ओहि दूनूमे ओतबहि अन्तर अछि जतबा कि तेन्दुआ ओ आन पैघ बिलाड़ि (बाघ, सिंह, जगुआर, चीता) सभमे अछि । हिम तेन्दुआ (Eng. - SNOW LEOPARD / OUNCE) (Bio. Name - Panthera uncia syn. Uncia uncia) भारतमे मात्र हिमालय पर्वत श्रेणीक 3000 मीटर सँ 4,500 मीटर (9,800 फीट सँ 14,800 फीट) केर ऊँचाई धरि भेटैत अछि । भारतक अतिरिक्त प्राकृतिक रूप सँ ओ नेपाल, भूटान, चीन, मंगोलिया, अफगानिस्तान, पाकिस्तान, कजाकिस्तान, किर्गीस्तान, ताज़िकिस्तान आ उजबेकिस्तान देशमे पाओल जाइत अछि ।




मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍210म अंक (‍15 सितम्बर 2016) (वर्ष 9, मास 105, अंक ‍210) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।




No comments:

Post a Comment